भूमिका प्रधानमंत्री उज्ज्वला योजना, भारत सरकार द्वारा शुरू कयल गेल एकटा महत्त्वाकांक्षी योजना अछि। उज्ज्वला योजना के अंतर्गत भारत सरकार एलपीजी कनेक्शन उपलब्ध कराबैत अछि। एलपीजी कनेक्शन केवल गरीबी रेखा सं नीचा के परिवार सं सम्बंधित महिला के देल जाइत छै। योजना के अंतर्गत भारत सरकार अगिला 3 बरख मे 5 करोड़ बीपीएल परिवार के मुफ्त मे एलपीजी कनेक्शन उपलब्ध कराबै के लक्ष्य रखने छै । जाहि मे प्रत्येक वित्तीय वर्ष/बरख मे लगभग 1.5 करोड़ बीपीएल (गरीबी रेखा सं नीचा) परिवार के एलपीजी कनेक्शन उपलब्ध कराबै के लक्ष्य निर्धारित कयल गेल छल। प्रधानमंत्री उज्ज्वला योजना के उद्देश्य उज्ज्वला योजना के मुख्य उद्देश्य पूरा भारत मे स्वच्छ ईंधनक उपयोग के बढ़ावा देनाइ छै जे कि मुफ्त मे एलपीजी कनेक्शन वितरित करिके पूरा कयल जा सकता अछि। योजना के लागू करैक एकटा उद्देश्य इहो अछि कि प्रस्तुत योजना सं महिला सशक्तिकरण के बढ़ावा मिलतै आ महिला के स्वास्थ्यक सुरक्षा सेहो कयल जा सकैत अछि। वर्तमान मे उपयोग मे आबै बला अशुद्ध जीवाश्म ईंधन के उपयोग के कम करनाइ आ शुद्ध ईंधन के उपयोग के बढ़ा के प्रदूषण मे कमी करनाइ सेहो योजना के प्रमुख लक्ष्य मे से एक छै। जे बीमारी खाना बनाबै लेल उपयोग मे आबै बला अशुद्ध जीवाश्म ईंधन के जलेला सं होइत छै , उज्ज्वला योजना के लागू भेला के बाद ओहि मे कमी आबै के सम्भावना छै। अहि प्रकारे इ योजना महिला आ बच्चा सभके स्वस्थ राखै मे सहायक सिद्ध हेतै। प्रधानमंत्री उज्ज्वला योजना लेल केना आवेदन करि योजना के लेल आवेदन करनाइ बहुत आसान छै। जे भी इच्छुक उम्मीदवार योजनाक लाभ उठाब’ चाहैत छथि ओ योजना के आवेदन पत्र भरिके अपन नजदीक एलपीजी वितरण केंद्र मे जमा कराबी। उज्ज्वला योजनाक आवेदन पत्र एलपीजी वितरण केंद्र सं मुफ्त मे प्राप्त कयल जा सकैत अछि अथवा ऑनलाइन सेहो डाउनलोड कयल जा सकैता अछि। 2 पन्ना के आवेदन पत्र मे मांगल गेल सभटा जानकारी जेना कि नाम, पता, आधार कार्ड नंबर, जन धन/बैंक खाता संख्या इत्यादि भरनाइ आवश्यक छै। आवेदन-पत्र के अंदरे मे आवेदक इ चयन करि सकैत छथि कि हुनका 14.2 किलो वाला गैस सिलिंडर चाही या फेर 5 किलो बला। प्रधानमंत्री उज्ज्वला योजना के लेल आवेदन पत्र उज्ज्वला योजना के लेल आवेदन करै लेल निर्धारित आवेदन पत्र अपन नजदीकी एलपीजी वितरण केंद्र सं मुफ्त मे प्राप्त कयल जा सकैत अछि। आवेदन पत्र ऑनलाइन सेहो डाउनलोड करि सकैत छी आ प्रिंट ल’ भरल जा सकैत अछि। आवेदन पत्र हिंदी आ अंग्रेजी दुनु भाषा मे उपलब्ध अछि। आवेदन पत्र ऑनलाइन डाउनलोड करैक लेल नीचा देल गेल लिंक पर क्लिक करु। महिला प्रधानमंत्री उज्ज्वला योजना लेल आवेदन पत्र डाउनलोड करैक लेल अहि लिंक पर जाऊ : योजना के लेल आवश्यक दस्तावेजक सूची योजना लेल आवश्यक दस्तावेज के प्रतिलिपि आवेदन पत्र के संगहि जमा करनाइ आवश्यक छै। आवश्यक दस्तावेजक सूची निम्नलिखित अछि : पंचायत अधिकारी या नगर पालिका अध्यक्ष द्वारा अधिकृत बीपीएल प्रमाणपत्र बीपीएल राशन कार्ड एकटा फोटो आई डी जेना आधार कार्ड या मतदाता पहचान पत्र एकटा पासपोर्ट साइज फोटो ड्राइविंग लाइसेंस लीज करार टेलीफोन, बिजली या पानीक बिल पासपोर्ट के प्रति राजपत्रित अधिकारी द्वारा सत्यापित स्व-घोषणा पत्र राशन कार्ड फ्लैट आवंटन/कब्ज़ा पत्र आवास पंजीकरण दस्तावेज एलआईसी पालिसी बैंक/क्रेडिट कार्ड स्टेटमेंट उपर देल गेल सभटा दस्तावेज के आवेदन पत्र के संगहि संलग्न करैक जरूरत नहि छै। अहि बारे मे सटीक जानकारी लेल अपन नजदीकी एलपीजी वितरण केंद्र सं आवश्य संपर्क करि। उज्ज्वला योजना लेल पात्रता प्रधानमंत्री उज्ज्वला योजना के लेल इच्छुक लोक के योजना लेल पात्र भेनाइ अति आवश्यक छै। जे भी आवेदक पात्र नहि होयब हुनका गैस कनेक्शन नै देल जायत। पात्रताक मुख्य बिंदु अहि प्रकार अछि- आवेदक द्वारा देल गेल सबटा जानकारी एसईसीसी – 2011 डेटा संग मिलायल जाइत छै तथा मिलान के पश्चात इ निर्णय लेल जैत छै कि आवेदक योजना के पात्र अछि वा नहि। आवेदक के उम्र 18 साल या अहि सं अधिक हेबाक चाही । आवेदक बीपीएल परिवार सं सम्बन्ध बला महिला हेबाक चाही , पुरुष अहि योजना लेल आवेदन नै करि सकैत अछि। आवेदक के घर मे किनको नाम पर पहिले सं कोनो भी एलपीजी कनेक्शन नहि हेबाक चाही। आवेदक लग बीपीएल प्रमाण पत्र अथवा बीपीएल राशन कार्ड हेबाक आवश्यक छै । आवेदक द्वारा आवेदन फॉर्म मे देल गेल सभटा जानकारी ठीक हेबाक चाही। योजना के लेल पात्र बीपीएल परिवार के सूची राज्य सरकार ओ केंद्र शासित प्रदेशक मदद सं तैयार कयल जाइत छै। तेल व्यापार कंपनी अहि योजना लेल आवेदन करै बला सभ ग्रामीण आवेदकक जानकारी के एसईसीसी -2011 के डेटाबेस के संग मैच करायल जाइत छै आ सत्यापन के बादे गैस कनेक्शन उपलब्ध करायल जाइत छै। योजना के बजट आ वित्त-पोषण भारत सरकार योजना के कार्यान्वयन लेल कुल 8000 करोड़ रूपयाक बजट बनेने छल जे 3 बरख लेल छल। योजना के अवधि बढाई के संग अहि लेल आवंटित बजट सेहो बढ़ा देल गेल। योजनाक वित्त पोषण अथवा योजना पर खर्च होनेल्फग्फ्ह बला पैसा एलपीजी सब्सिडी मे बचाएल गेल पैसा सं होइत छै। भारत सरकार द्वारा जनवरी 2015 मे शुरू कयल गेल “गिव-इट-उप” अभियान के अंतर्गत एखन धरि लगभग 1.13 करोड़ लोक एलपीजी सब्सिडी छोडि देलकै आ ओ लोकनि बाजार मूल्य पर एलपीजी सिलिंडर खरीद रहल छथि। क्रियावान्यित अहि अभियान सं एखन धरि हज़ारों-करोड़ो रुपयाक बचत भ’ चुकल छै जाहि के उज्ज्वला योजना लेल प्रयोग कयल जा रहल अछि। वित्तीय सहायता योजना के अंतर्गत भारत सरकार प्रत्येक पात्र बीपीएल परिवार के 1600 रूपयाक आर्थिक सहायता प्रदान करत जे गैस कनेक्शन खरीदै लेल होयत। भारत सरकार बीपीएल परिवार के स्टोव खरीदै लेल आ पहिल बेर सिलिंडर भरबाबै लेल आबै बला खर्च के अदा करै लेल किस्तक सुविधा सेहो प्रदान कयल जाइत छै। योजना के कार्यान्वयन योजना के कार्यान्वयन भारत सरकार के पेट्रोलियम ओ प्राकृतिक गैस मंत्रालय के अधीन होइत छै। इतिहास मे पेट्रोलियम मंत्रालय के अहि तरहक इ पहिल योजना छै जाहिमे करोड़ो गरीब परिवारक महिला के लाभ प्राप्त हेतै। मूल स्तर पर योजनाक कार्यान्वन तेल व्यापार कम्पनी द्वारा कयल जायत। योजना वित्त वर्ष 2016-17 सं 2018-19 तक 3 वर्ष के लेल होयत। अहि योजना के अंतर्गत ग्रामीण आ शहरी क्षेत्र मे रहनिहार परिवार जे गरीबी गरीबी रेखा सं नीचा छथि हुनका मुफ्त मे एलपीजी गैस कनेक्शन उपलब्ध कराओल जायत।